Saturday, March 5, 2016

नीक बेजा सब हमहीं तोलब

नीक बेजा सब हमहीं तोलब
*********************

एकटा संस्था हमहुँ खोलब
नीक बेजा सब हमहीं तोलब
सम्मान मे हमरा पाग पहिरबिहऽ 
गड़बड़ी मे अनका दाग लगबिहऽ
मिथिला राज पर मुँह नञि खोलब
नीक बेजा सब हमहीं तोलब

उसलिहऽ तुहीं चँदा तंदा
हमरा करऽ दय चाकरी धंधा
राति सबटा हिसाब तु दिहऽ
एनाई गेनाई के खर्चा लिहऽ
अध्यक्ष सेकरेटरी हमहीं बनब
नीक बेजा सब हमहीं तोलब

हेड ऑफिस रहत हम्मर दलान
ब्रांच रखबै अप्पर लोअर पूरा असाम
न'गांव मोरिगांव जोरहाट तेजपूर
डीब्रूगढ़ तीनसुकिया रंगीया दिसपूर
नाम हेतई हम्मर ठामे ठाम
तोरा भेटतऽ चाह संग तांबूल पान
कोनो जिला गाम नै छोड़ब
नीक बेजा सब हमहीं तोलब

अनूप सत्यनारायण झा

No comments:

Post a Comment