चल रै बौआ गाम चल...
*******************
*******************
चल रे बौआ गाम चल
लेने भगवतीक नाम चल
चल रै बौआ गाम चल.......
लेने भगवतीक नाम चल
चल रै बौआ गाम चल.......
मुम्बई दिल्ली सबतईर घुमलैँ
बड़का छोटका खोता बुनलैँ
देहो दऽ रहल जवाब छौ
समय लऽ रहल हिसाब छौ
केने सबके प्रणाम चल
चल रै बौआ गाम चल..........
बड़का छोटका खोता बुनलैँ
देहो दऽ रहल जवाब छौ
समय लऽ रहल हिसाब छौ
केने सबके प्रणाम चल
चल रै बौआ गाम चल..........
बस बिट्टी, गाछी, खेत-पथार
गामो पर लगईछै हाट-बजार
टाका पईसा कत्तौ भेटतौ
मेहनत करबैँ तऽ अत्तौ भेटतौ
बचबैत अप्पन सम्मान चल
चल रै बौआ गाम चल........
गामो पर लगईछै हाट-बजार
टाका पईसा कत्तौ भेटतौ
मेहनत करबैँ तऽ अत्तौ भेटतौ
बचबैत अप्पन सम्मान चल
चल रै बौआ गाम चल........
माय बाबूक त्याग सँ बनल देह
भदेश आबि बिसरलैँ तु माटिक सनेह
कने कने के फेरा मे समय रहलौ बीत
दाई बाबा के मुईलो पर कोना नञि फटलौ चीत
भविष्यक केने ध्यान चल
चल रै बौआ गाम चल............
भदेश आबि बिसरलैँ तु माटिक सनेह
कने कने के फेरा मे समय रहलौ बीत
दाई बाबा के मुईलो पर कोना नञि फटलौ चीत
भविष्यक केने ध्यान चल
चल रै बौआ गाम चल............
तोरे मेहनत सँ प्रकाशित संसार
मुदा गाम में अक्खनो कुप अन्हार
गाम-घर, संगी-साथी बजा रहल छौ
इजोतक सपना सजा रहल छौ
अन्हारक लेने निदान चल
चल रै बौआ गाम चल..............
मुदा गाम में अक्खनो कुप अन्हार
गाम-घर, संगी-साथी बजा रहल छौ
इजोतक सपना सजा रहल छौ
अन्हारक लेने निदान चल
चल रै बौआ गाम चल..............
::अनूप सत्यनारायण झा::

No comments:
Post a Comment