मऽन पड़ल हमहूँ छलौं रुसल
कोहबर घर में भईर दिन घुसल
कोहबर घर में भईर दिन घुसल
सभकियो मनेलक
सभ कियो जगेलक
सभ कियो जगेलक
कोर्थू वाली सरोहजनी देली आवाज
ओझा जी की चाहीं, कथिलाऽ छैथ नाराज
ओझा जी की चाहीं, कथिलाऽ छैथ नाराज
बेनीपूर सँ रसगुल्ला आयल, आशापुर सँ पेरा
मिल्की सँ जिलेबी आयल, बहेड़ा सँ केरा
मिल्की सँ जिलेबी आयल, बहेड़ा सँ केरा
बिकुपट्टी सँ मामा एलाह
हाबीबुआर सँ गामा एलाह
हाबीबुआर सँ गामा एलाह
बिसरा गेल किया नाराज भेलौं
कोन बात पर मौनी महाराज भेलौं
कोन बात पर मौनी महाराज भेलौं
भईर अंदौली खबर इ पसरल
कारी मिशर के जमाय किया रुसल
कारी मिशर के जमाय किया रुसल
कनियाक कननाई देखल नञि गेल
रसगुल्ला मिठाई छोड़ल नञि गेल
रसगुल्ला मिठाई छोड़ल नञि गेल
भुखले भईर दिन हालत छल पस्त
मुदा बेनीपूरक रसगुल्ला छल मस्त
मुदा बेनीपूरक रसगुल्ला छल मस्त
::: अनुप सत्यनारायण झा :::
No comments:
Post a Comment