चलु विरार चलु विरार !!
-------------
जागु भईयारी होउ तैयार
भाई बंधु के लेने विचार
चलु विरार चलु विरार !!
नञि कियो गोर नञि कियो कार
जादव मंडल आ तिलकधार
चलु विरार चलु विरार !!
रेल फटफटिया आ मोटर कार
साईकिल स्कुटर पैदल सवार
चलु विरार चलु विरार !!
बौआ बुच्ची भईया भौजी आओर सब नार
देखत मिथिला बौआ बुचिक किलकार
चलु विरार चलु विरार !!
नेता अभिनेता गायक कलाकार
हिन्दी मैथिली संग मराठी पत्रकार
चलु विरार चलु विरार !!
कमल धनंजय रविन्द्र कृष्ण कुमार
मिलजुलकऽ सब लगाबु नैया पार
चलु विरार चलु विरार !!
वर्ली पनवेल पोईसर वाशी भिन्डी बजार
मुम्बई ठाणे पालघर पुणे सबतईर हकार
बारहो वर्णक एक्के ललकार
मिथिला राज हम्मर अधिकार
चलु विरार चलु विरार !!
::अनुप सत्यनारायण झा ::
चलु विरार चलु विरार !!
No comments:
Post a Comment